Thursday 14 April 2011

MEATHILA















जन - जन के अबैत अछि आबाज ,
दहेज़ मिटाओ यो मिथिला के राज
गुजराल बुढ पूरानक बात ,
नव युवक रखैया आई अपन आगाज
दहेज़ मुक्त मिथिला बनाऊ आब -

जुग बितल आयल नव जमाना ,
संस्कृति बचाऊ सब मारैया ताना
कोट - कचहरी वियाह करैया ,
कन्यादान के आब बुझैया
नव युवक मंगैया आब अपन जबाब
दहेज़ मुक्त मिथिला बनाऊ आब -

अहिना चलत ज ई जोड़ - जमाना ,
की - की नै करत नव युबक अपन बहानाबात मानू सब खाऊ मिल किरियो ,
बेटा - बेटी में लेब नै दू टा कोरियो
नब युवक के देखू आयल राज
दहेज़ मुक्त मिथिला बनाऊ आब -

गाम - गाम में रह्त ई शान ,
बेटा नै बेचीलैथी छैथि निक इंशानदोसरक घर के भीख ज़ोउ मांगब ,
भीख मांगा के नाम से जानब
नव युबक बात पर राखु आब नाज
दहेज़ मुक्त मिथिला बनाऊ आब -
 छी परदेशी या कउनु सहरी ,
सुनू पुकार आई मिथिला केजों संस्कृति छोरी गेला ओ ,
संतान कहओता ओ दोगला केनव युबक बात के नै मनाब खाराप
दहेज़ मुक्त मिथिला बनाऊ आब -




madan kumar thakur

1 comment:

  1. SSC MTS Application Form 2019 will be released in December 2018. Earlier, the application form was scheduled to be released on November 3, 2018 and the last date to apply was December 3. However, the application process has been delayed till further notice.For more details Click here

    ReplyDelete